बुधवार, 10 अगस्त 2016

अनुगमन टोली पहुँचलाक बाद दवाई दोकानसभ बन्द

जिल्ला प्रशासन कार्यालयक नेतृत्वमे बुधदिन जनकपुरक बजारके अनुगमन कएलगेल अछि । अनुगमन टोली पहुँचल जानकारीमे अओलाक बाद अञ्चल अस्पताल क्षेत्रक किछु दोकान धमाधम बन्द भऽ गेल छल । ओहि क्षेत्रक दवाई दोकानदारसभ अनुगमन टोलीक नाम सुनि कऽ अपन अपन दोकान बन्द कऽ देने छलथि । अनुगमन टोली ओतहसँ चलिगेल विश्वस्त भेलाक बाद फेरसँ दोकानसभ सञ्चालनमे आएल छल ।ओना बहुतरास दोकान यथावत सञ्चालनमे देखलगेल ।
उपभोक्तासभक निरन्तर ठगीके शिकायत आबए लगलाक बाद जिल्ला प्रशासन कार्यालय, जिल्ला घरेलु कार्यालय, नापतौल तथा गुणस्तर कार्यालय तथा जनकपुर उधोग वाणिज्य संघक संयुक्त टोली अस्पताल रोडक किछु दवाई दोकान आ होटलसभक अनुगमन कएने छल । अनुगमनक क्रममे सञ्चालनमे रहल दवाई दोकानसभ घरेलु कार्यालयसँ स्वीकृति लेने बिना सञ्चालनमे रहल देखबामे आएल अछि । औषधी व्यवस्था विभागमे दर्ता रहलाक बादो दवाई दोकानसभ जिल्ला घरेलु कार्यालयमे दर्ता नहि रहल अनुगमनमे सहभागी घरेलु कार्यालयके प्रमुख अर्जुन मण्डल बतओलन्हि ।
अनुगमनक क्रममे घरेलु कार्यालयक प्रमुख मण्डल घरेलु कार्यालयक दर्ता खोजि रहल समय दवाई दोकानक सञ्चालकसभ एहि विषयमे अपनासभके कोनो जानकारी नहि रहल बतओने छलथि । औषधी व्यवस्था विभाग, आन्तरिक राजस्व कार्यालय सहितकमे दर्ता करएबाक प्रावधानके विषयमे जानकारी रहलाक बादो दवाई दोकान सञ्चालन करबालेल घरेलुमे दर्ता करएबाक विषयमे ओसभ अनभिज्ञता जनओने छलथि । अनुगमन टोली जनकपुर अञ्चाल अस्पताल परिसर भितर रहल प्रिन्सी फार्मेसी, मेडिकल हल तथा अस्पताल बाहरके राधे फार्मेसी आ मीरा फार्मेसीमे अनुगमन कएने छल । अनुगमनक क्रममे सरकारी टोली दवाई चेक जाँच करबासँ अधिक दर्ता खोजबा पर अधिक केन्द्रित देखलगेल प्रत्यक्षदर्शीसभक कहब अछि ।
तहिना अनुगमन टोली जनकपुर अञ्चल अस्पतालक आगा सञ्चालनमे रहल भगवती मिष्ठान भण्डार तथा जानकी चौक स्थित रघुपति मिष्ठान भण्डारके सेहो अनुगमन कएने छल । उपभोक्ताक सुविधा सम्बन्धी कोनो मापदण्ड पुरा नहि कएलगेल अवस्थामे होटल देखलगेल घरेलु कार्यालयक प्रमुख मण्डल बतओलन्हि अछि । भगवती मिष्ठान भण्डारक मिठाईसभमे माछी मरल अवस्था देखलगेल बतबैत सरसफाईके विशेष ध्यान देबएलेल निर्देशन देलगेल मण्डल बतओलन्हि अछि । उपभोक्तासभक स्वास्थ्यसँ खेलवाड कऽ कऽ खाद्य सामग्री बिक्रि वितरण करएबला उपर कारबाही करबाक कानुनी व्यवस्था रहलाक बादो पहिलबेर सचेत कराओलगेल हुनकर कहब छलन्हि । फेरसँ अनुगमनक क्रममे सुधार नहि देखलगेल तऽ उपभोक्ता संरक्षण ऐन अनुसार कारबाही कएल जाएत मण्डल चेतावनी देलन्हि । तहिना जानकी चौक स्थित रघुपति मिष्ठान भण्डारक अवस्था विगतके तुलनामे किछु सुधारात्मक देखलगेल हुनकर प्रतिक्रिया छलन्हि ।
घरेलु कार्यालयक प्रमुख मण्डल दवाई दोकानसभ औषधी व्यवस्था विभागमे दर्ता भेलाक बादो घरेलु कार्यालयमे अनिवार्य दर्ता करबाक प्रावधान रहलाक कारणेँ दवाई दोकान सञ्चालकसभके तीनसँ सात दिन भितर प्रक्रियामे आबएलेल निर्देशन देलगेल जानकारी देलन्हि ।
सरकारी अनुगमन टोली दवाई दोकान आ होटलसभक अनुगमन कऽ रहल समय प्रत्यक्षदर्शीसभ अनुगमनके खानापूर्तीके संज्ञा देलन्हि अछि । अनुगमन मात्र करब मुदा कारबाही नहि होबएबला अनुगमनके कोनो अर्थ नहि अछि सर्वसाधारणक कहब अछि । विगत किछु दिन पहिने मात्र जानकी मंदिर आगु रहल हंसराज मिठाई दोकानसँ खरिद कएलगेल मिठाई खा कऽ दुगोटे बिमार भेलाक बादो मिठाई दोकानक सञ्चालकके कोनो कारबाही नहि कऽ अनुगमनक नाटक मात्र कएल जा रहल स्थानीयवासीसभक कहब अछि । मिठाई खा कऽ सिकिस्त भेलाक बाद दोकानमे तत्काल शीलबन्दी कऽ कऽ कारबाही प्रक्रिया आगु बढएबाक स्थान पर सम्बन्धीत निकाय नमुना जाँचके नाम पर टारएके काज कऽ रहल सर्वसाधारणक आरोप अछि ।

रविवार, 7 अगस्त 2016

हंसराजक मिठाई खा कऽ दुगोटे सिकिस्त

कम समयमे चर्चा कमओने जनकपुरक हंसराज मिठाई दोकानक गोरख धन्धा सामने आएल अछि । स्वच्छ शुद्ध मिठाई बिक्रीके दावी करैत आबि रहल हंसराज मिठाई दोकान मिठाई खा कऽ दुगोटे सिकिस्त बिमार भऽ गेल छथि । जानकी मन्दिरक आगु सञ्चालनमे रहल हंशराज मिठाई दोकानसँ खरिद कऽ लऽ गेल मिठाई खएलासँ शनिदिन भिन्सर दुगोटे बिमार भेल छथि । बिमार होबएबलामे जनकपुर उपमहानगरपालिका वार्ड नम्बर १ क विन्देश्वर साह आ संजय शर्मा रहल पुलिस जनओलक अछि। मिठाई खएलाक बाद विन्देश्वर खुनक उल्टी कएने परिवारक सदस्य जनओलन्हि अछि।  साहक परिवारक सदस्यसभक अनुसार मिठाईमे मरल मकरा देखलगेल छल । समान्य इलाजके बाद संजयके डिस्चार्ज कऽ देलगेल आ विन्देश्वरके जानकी हेल्थ केयर सेन्टर जनकपुरमे इलाज चलि रहल जनाओलगेल अछि । विन्देश्वर भानुचौक स्थित जनक बैट्रीके सञ्चालक सेहो छथि । पूजा कऽकऽ घरमे मिठाई खएलाक बाद दुनु गोटे अचानक विमार भऽ गेल छलथि । खुनके उल्टी भेलाक बाद दुनुगोटके ब्रम्हपुरी स्थित सीटी अस्पतालमे भर्ना कराओलगेल छल । मुदा, ओतह इलाज संभव नहि भेलाक बाद जानकी हेल्थ केयर सेन्टरमे भर्ना कएलगेल अछि । इलाजमे संलग्न चिकित्सकसभक अनुसार विन्देश्वरके उल्टी कराबएलेल ९ बोतल स्लाइन देलगेल छल । फुड पोइजनिङके कारण दुनु गोटे सिकित्स भेल इलाजमे संलग्न चिकित्सकसभक कहब अछि । हंसराज मिठाई दोकानसँ मिठाई खएलाक बाद सकिस्त भेल कहैत विन्देश्वरक बेटा सुजित साह कारबाहीके माँग कएलन्हि अछि । मिठाई खएलासँ दुगोटे बिमार भेलाक बाद जिल्ला प्रहरी कार्यालय आ जिल्ला प्रशासन कार्यालय मिठाई उत्पादन करैत आबि रहल जनकपुर उपमहानगरपालिका वार्ड नम्बर ६ स्थित कारखानामे अनुगमन कएने छल । अनुगमनक क्रममे कारखानासँ नमुनाके रुपमे लेलगेल मिठाई परीक्षणकेलेल हेटौडा पठएबाक तैयारी कएलगेल धनुषाक प्रहरी उपरीक्षक रामदत्त जोशी जानकारी देलन्हि ।
एम्हर मिठाई दोकान सञ्चालन करैत आबि हंसराज साह अपन दोकानक मिठाई खएलासँ ओसभ बिमार नहि भेल दावा कएलन्हि अछि । दोकानमे दैनिक दुसयसँ अढाईसय आदमी मिठाई खरिद करएलेल अबैत अछि मुदा ककरो किछु नहि भऽ कऽ ओहि दुगोटे बिमार परब अपन दोकानक दोष नहि रहल ओ बतओलन्हि । मिठाईमे फुल सटल छल आ ओहिके सँग मकरा सेहो आएल भऽ सकैत अछि हंसराजक दावा अछि । घटनाके विषयमे आवश्यक अनुसन्धान भऽ रहल पुलिस जनओलक अछि ।